Thursday, October 20, 2011

एकताके नाममे भारत समक्ष आत्मसमर्पण नहि करबः बादल


३ कार्तिक, बागलुङ । एकीकृत नेकपा माओवादीक महासचिव रामबहादुर थापा बादल पार्टी एकताके नाममे भारत समक्ष आत्मसमर्पण करय नहि सकब बतौलनि अछि ।

पुरना राजनीतिक दल आ अपन दलक एकटा ब्यक्ति भारतक इसारामे काम कऽ रहल कहैत महासचिव वादल राष्ट्रियताके समाप्त कऽ क एकीकृत होबयके औचित्य नहि रहल बतौलनि अछि । क्रान्तिकारी पत्रकार सङ्घ बागलुङ आइ केने पत्रकार सम्मेलनमे थापा कहलनि -आत्मसमर्पण राष्ट्रहित आ जनादेश विपरीत अछि । हमरासबके ककरो दासत्व स्विकार नहि हाएत ।महासचिव बादल भारत अखनो नेपालक राजनीतिमे प्रत्यक्ष हस्तक्षेप कऽ रहल आरोप लगौलनि अछि ।

प्रधानमन्त्रीक भारत विवादास्पद कोनो सन्धिसम्झौता नहि करयके निर्णय भेल कहैत ओ प्रधानमन्त्रीके भारत भ्रमणके सिलसिलामे असमान सन्धिके विषयमे बिमर्श  मात्रे हाएत बतौलनि । भ्रमण शान्ति आ संविधानक विषयमे सेहो केन्द्रित हाएत ।महासचिव थापा कहलनि ।

ओ माओवादी लडाकूके समायोजनबाद सेहो निःशस्त्र भूमिका दऽ क षड्यन्त्र करय चाहि रहल स्पष्ट कएलनि ।

मोहन वैद्य समूहक कार्यकर्ता प्रशिक्षणके लेल बागलुङ पहुँचल महासचिव बादल विचार मिलयबलासबबीच बिमर्श अन्तक्रिर्या करय पाबयके अधिकार पार्टीके सब नेतासबके रहल स्पष्ट कएलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन