Thursday, October 20, 2011

सरकार अपने कारणसँ खसत नेपालक दावी


३ कार्तिक, काठमाडौं । नेकपा एमालेक वरिष्ठ नेता माधवकुमार नेपाल वर्तमान सरकार अपने कारणसँ खसत दाबी कएलनि अछि । एमाले कार्यकर्तासबके आइ भरतपुरमे सम्बोधन करैत ओ सरकारमे सामेल मन्त्री आ हुनकासबहक कार्यशैली चित्त बुझय जोगर नहि भेलासँ सरकार अपने खसत बतौलनि ।

ओ वर्तमान सरकार शान्ति आ संविधानके निश्कर्षमे पहुँचाबय नहि सकत दाबी कएलनि । पूर्व प्रधानमन्त्री समेत रहल नेता नेपाल पूर्व प्रधानमन्त्रीसबहक क्लब गठन करयके अपन उद्देश्य रहल बतौलनि ।

कुर्सीके छिनाझपटी छोरि कऽ पूर्व प्रधानमन्त्रीसब विकासक लेल सहयोग करय सकत हुनक कहब छलनि । कार्यकर्तासबके पार्टीके मूल सिद्धान्तके आत्मसात कऽ आगु बढय नेता नेपाल निर्देशन देलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन