Thursday, October 20, 2011

एहन अछि प्रधानमन्त्रीक आजुक भारत भ्रमण तालिका


३ कातिक जनकपुरधाम । प्रधानमन्त्री डा बाबुराम भटराइ आइ बेरियामे पौने १ बजेके नेपाल वायु सेवा निगमके बिमानसँ  भारतक दिल्लीके लेल प्रस्थान कएलनि अछि । ओ ६ गतेधरिके लेल भारतक दिल्ली प्रस्थान कएलनि अछि ।

ओ १ बाजि कऽ ४५ मिनेटमे भारतक इन्दिरा गान्धी अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थल दिल्लीमे पहुँचताह । ताहिके बाद हुनका २ बजे होटल लीला प्यालेस जाएके कार्यक्रम छन्हि । ओकरबाद भटराइ सवा ३ बजे अपने विद्यावारिधी केने जवाहरलाल नेहरु विश्वविद्यालयके सहपाठीसबसँग भेटघाट करताह बताओल गेल अछि   । ओकर बाद ४ बजे भारतीय कम्युनिष्ट पार्टीक महासचिव डिबी बर्द्धानसँग भेटवार्ता करताह । अहिना हुनका पौने ५ बजे रविमार्गस्थित कन्स्टिटच्युसनल क्लबमे जाएके कार्यक्रम छन्हि ।

कन्सिट्च्युसनल क्लवमे साउथ एशियन फोरम फर पिपल्स इनिसिएटिभ अन विहाफ फर सिभिल सोसाइटीके महासचिव सुबिन्द्र बहादुरियाद्वारा आयोजित स्वागत कार्यक्रममे हुनका ५ बजे सहभागी होयबाक कार्यक्रम अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन