Thursday, October 20, 2011

माओवादी लडाकु धरौटी राखि कऽ नाफा खा रहल अछिः ओली


भरतपुर, कार्तिक ३ । एमाले नेता केपी ओली लडाकु धरौटी राखि कऽ माओवादी नाफा लऽ रहल आरोप लगौलनि अछि ।

देशके विभिन्न लडाकु शिविरमे रहल युवाके उमेर बर्बाद भऽ रहल उल्लेख करैत ओ परिवर्तनके सपना दखने युवाके पार्टी धरौटी रखने बतौलनि अछि ।

आइ दुपहर चितवनके भरतपुरमे प्रेस चौतारी आयोजना केने पत्रकार भेटमे बजैत ओ लडाकुके नाममे विभिन्न तत्व सरकारमे सामेल भेल सेहो आरोप लगौलनि ।

 माओवादीके पैसाके आबश्यक्ता भेलासँ ओ लडाकु व्यवस्थापन छोडि कऽ १ हजार ५ सय पारिश्रमिक बृद्धि केने बतौलनि  । लडाकुके योगदान सलाम योग्य अछि कहैत नाफा लेने ओ बतौलनि 

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन