Thursday, October 20, 2011

प्रधानमन्त्रीक सहमतिके प्रयास असफल


३ कातिक काठमाडौँ । भारत भ्रमणमे जाएसँ आगु शान्ति प्रक्रियाके बिषयमे सहमति जुटाबय बैसल बैसारमे प्रधानमन्त्री डाक्टर बाबुराम भट्टराईके प्रयास असफल भेल अछि ।

माओवादी लडाकुसबहक संख्या, तह निर्धारण, योग्यता तथा पुनस्र्थापनामे जाए चाहयबलासबके लेल प्रदान कएल जाएबला प्याकेजके बिषयमे भिन्सर बैसल प्रमुख तीन दलक बैसार निष्कर्षमे पहुँचय नहि सकलाबाद प्रधानमन्त्रीक सहमतिके प्रयास असफल भेल अछि । लडाकुसबहक तह निर्धारण, संख्या सहितक बिषयमे गम्भीर रुपमे दलसबबीच बिमर्श होइतो बैसारसँ कोनो निर्णय निकलय नहि सकल । शान्ति प्रक्रियाके बिषयमे सहमति नजदिक पहुँचल दावी करैत नेतासब निष्कर्षमे पहुँचय आओर बिमर्शक आवश्यक्ता रहल बतौलनि । किछ बिषयमे थप बिमर्श भेलाबाद प्रधानमन्त्री भारत भ्रमण कऽ घुरलाबाद सहमति सार्वजनिक कएल जाएत माओवादी स्थायी समिति सदस्य वर्षमान पुन बतौलनि ।

बितलराति अवेरधरि बैसल तीन दलक बैसारक बाद शान्ति प्रक्रियाके बारेमे होबय सकयके सहमतिके खाकाके मस्यौदा बनाबय गठन केने कार्यदल तयार केने प्रस्तावके बारेमे तीन दलक बैसारमे जानकारी कराओल गेल छल । कार्यदलमे माओवादीक दिससँ वर्षमान पुन, एमालेसँ भीम रावल आ काङ्ग्रेससँ कृष्ण सिटौला सहभागी छलथि । स्रोतक अनुसार माओवादी लडाकुके संख्या, तह आ पुनस्थापना प्याकेजके बिषयमे माओवादीक बरिष्ठ उपाध्यक्ष मोहन बैद्य सहितक किछ नेतासब बैसारमे असहमति जनौने छलथि ।


No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन