Saturday, December 03, 2011

सर्वोच्चके हस्तक्षेप अनावश्यकः महतो


राजविराज, अगहन १७ । स्वास्थ्य मन्त्री राजेन्द्र महतो संविधान निर्माणमे सर्वोच्च अदालतके हस्तक्षेप आवश्यक नहि रहल टिप्पणी कएलनि अछि । ओ राजनीतिक गतिविधिमे सर्वोच्चके हस्तक्षेप नहि करय चाही बतौलनि ।

राजविराजमा सञ्चारकर्मीसंग आइ बातचित करैत महतो कहलनि जे संविधान निर्माण जेहन विषयमे जनताके निर्णय  सर्वमान्य भेलासँ अहिमे सर्वोच्चके हस्तक्षेप करयके कोनो आवश्यक नहि अछि ।

बढाओलगेल ६ महिना भितर संविधान निर्माणक काम पूरा होबय सकत बतबैत सदभावना पार्टीक अध्यक्ष समेत रहल महतो बहुत विषयसबमे सहमति भऽ गेल अछि आ आब इमान्दारीपूर्वक काम कएल जाए तऽ ६ महिनामे सम्भव हाएत नहि तऽ  ६ वर्षोमे होबय नहि सकत बतौलनि ।

अहिना मन्त्री महतो एक महिना भितर नेपाली सेनामे मधेसी समुदायसँ प्रवेशके प्रक्रिया समेत सुरु हाएत जानकारी देलनि । संयुक्त लोकतान्त्रिक मधेसी मोर्चा आ एकीकृत नेकपा माओवादी बीच भेल सम्झौता अनुसारे  मधेसी समुदायसँ नेपाली सेनामे प्रवेशके प्रक्रिया सुरु हाएत हुनक कहब छलनि ।

दोसर प्रसंगमे मन्त्री महतो वर्तमान सरकारक नेतृत्व  संविधान निर्माणधरि रहत बतबैत आरो दलसबके सेहो  सरकारमे लाबयके कसरत भऽ रहल जानकारी देलनि ।   

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन