Saturday, December 03, 2011

बस आ जिप ठोकराएलासँ तीनके मृत्यु, १५ घाइल


इलाम, अगहन १७ । मेची राजमार्गमे आइ भिन्सर एकटा बस आ जिप एक आपसमे ठोकराएलासँ भेल दुर्घटनामे तीन गवटेके मृत्यु भेल अछि तऽ अन्य १५ गोटे घाइल भेल अछि ।

इलामसँ झापाके जामुन खाडी दिस पिकनिक मनाबय जाए लागल ना.४.ख ६१२० नम्बरक बस आ विपरीत दिशसँ आएल रा.१.प १६६ नम्बरक जिप कोलवुङ नामक स्थानमे भिन्सर ८ बजे ठोकराएल छल ।

बसमे इलाम नगरपालिका ९ के स्थानीय युवासब पिकनिक मनाबय जाऽ रहल छल तऽ जिप  झापासँ इलाम अबैत छल । मृतक तीनु गोटे जिपमे सवार छल ।

मृत्यु होबयबलामे जिप चालक इलाम जिर्मले के राजन राई आ झापा गरामुनीके मिरा न्यौपाने अछि तऽ एक गोटेके नाम खुलय नहि सकल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन