Saturday, December 03, 2011

बम बिष्फोटमे एसपी सहित ६ घाइल


विराटनगर, अगहन १७ ।  सुनसरीके व्यस्त बजार इटहरी चौकमे आइ भिन्सर  बम बिष्फोट भेलासँ उपरीक्षकसहित पाँच गोटे घाइल भेल अछि ।

चौकमे अज्ञात समूह बम रखने खबर भेटलाबाद पुलिस ओ क्षेत्रके नियन्त्रणमे लऽ सेनाके टोलीद्वारा निस्क्रिय करयके क्रममे ओ बम बिष्फोट भेल छल ।

सेनाके टोली बमके निस्क्रिय करयके तयारी कऽ रहल समय एकाएक  बम बिष्फोट भेल छल । पुलिस टाइमबम रहल जनौलक अछि । विष्फोटमे परि सुनसरीके प्रहरी उपरीक्षक राजु मानन्धर तथा अन्य पाँच सर्वसाधारण सेहो घाइल भेल अछि ।

उपरीक्षक मानन्धर सहित आरो किछ गोटे सामान्य घाइल भेल अछि तऽ दु  गोटे केनिक बेसी  घाइल भेल पुलिस जनौलक अछि । घाइल होबयबलासबमे इटहरी४ के टेकराज गिरी, प्रवीण भुजेल, गोपाल भुजेल, इटहरी३ के सुरेन्द्र पोखरेल आ मोरङके मृगौलियाके नीरबहादुर थापा रहल पुलिसक कहब अछि ।

 घाइलसबके धरानस्थित वीपी कोइराला स्वास्थ्यविज्ञान प्रतिष्ठानमे इलाज भऽ रहल अछि । बम के आ किया रखने आधिकारिक बात नहि खुजल अछि मुदा सुनसरीके किछ सञ्चारकर्मीके खम्बुवान मोर्चा संयुक्तके कार्यकर्ता बम रखने जिम्मा लैत आबिरहल अछि ।


No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन