Saturday, December 03, 2011

भारतीय लगानी बढाबय मन्त्रीद्वयके आग्रह


१७ अगहन, काठमाडौं । वाणिज्य तथा आपूर्तिमन्त्री लेखराज भट्ट आ उद्योगमन्त्री अनिल झा भारतीय उद्यमी व्यवसायीके नेपालमे लगानी बढाबय आग्रह कएलनि अछि ।

भारतीय विदेश मन्त्रालय आ भारतीय उद्योग वाणिज्य महासङ्घ -फिक्की संयुक्तरुपमे आइ आयोजना केने फिक्की-एमइए फरन पोलिसी कन्क्लेभके उद्घाटन सत्रमे ओसब नेपालमे क्रमशः लगानीमैत्री वातावरण बनैत गेल उल्लेख करैत तुलनात्मक लाभके क्षेत्रमे थप लगानी करय भारतीयसँ आग्रह कएलनि अछि ।

दु पक्षीय व्यापार अभिवृद्धि, लगानी प्रवर्द्धन तथा जलविद्युत् विकासक क्षेत्रमे भारतीय सहयोगके मात्रा विस्तारित हवबयके अपने विश्वस्त रहल उल्लेख करैत मन्त्री भट्ट नेपालक आर्थिक विकासके गति बढाबय भारतीय पुँजी आ  प्रविधिके ओतबे आवश्यकता रहल बतौलनि । राजनीतिक सङ्क्रमण व्यवस्थापनसँगै अर्थतन्त्रके नयाँ सुदृढ बनाबय पडोसीके बढैत संलग्नता अपरिहार्य रहल बतबैत ओ विकासक कामके बढाबय आ गरिबी घटाबय लेल भारतक सहायता महत्वपूर्ण रहल उल्लेख कएलनि ।

नेपाल आ भारतबीच दु पक्षीय लगानी संरक्षण तथा प्रवर्द्धन -बिपा आ दोहरा कर अन्त्य करय सम्बन्धी हालेमे भेल सम्झौतासँ लगानी वृद्धिके साथे दु पक्षीय व्यापार विस्तार करय मद्धत पहुँचयके ओ विश्वास व्यक्त कएलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन