Saturday, December 03, 2011

एसीसी ट्वान्टी-ट्वान्टी कप क्रिकेटमे नेपालक जीत


१७ अगहन काठमाण्डौ । काठमाण्डौमे आइसँ शुरु भेल एशियाली क्रिक्रेट काउन्सिल (एसीसी) टीट्वान्टी क्रिकेटमे नेपाल विजयी शुरुवात केलक अछि ।

कीर्तिपुरस्थित अन्तर्राष्ट्रिय क्रिक्रेट मैदानमे सम्पन्न खेलमे हङ्कङ्के २ विकेटसँ हरबैत नेपाल विजयी शुरुवात केलक अछि । पहिल ब्याटिङ केने हङकङ पुरे २० ओभरमे ९ विकेटक क्षतिमे ११४ रन बनौने छल । ११५ रनक लक्ष्य लऽ मैदानमे उतरल नेपाल पुरे २० ओभरमे ८ विकेटक क्षतिमे जित हासिल केने छल ।

जितय लेल अन्तिम एक बलमे एक रन लेबयके चुनौती अएलाबाद नेपालक लक्ष्य पुरा भेलाबाद रोमाञ्चक खेल जितमे परिणत भेल छल । शुरुवातमे ३ विकेट सस्तेमे गुमौने नेपाल ज्ञानेन्द्र मल्ल आ पारस खड्काके जोडीके उत्कृष्ट साझेदारीसँ नेपाल विजयी भेल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन