Saturday, December 03, 2011

वीना मलिकके नग्न तस्वीर पर मचल बवाल


१७ अगहन एजेन्सी । चर्चित पाकिस्तानी अभिनेत्री वीना मलिक के पुरुषके एक अंतरराष्ट्रीय पत्रिकाके भारतीय संस्करणमें छपल तस्वीर पर विवाद उत्पन्न भेल अछि ।

एफ़एचएम इंडियानामक एक पत्रिकामें छपल वीना मलिकके नग्न तस्वीरमें हुनक बाँहि पर पैघ अक्षरमें 'आईएसआई' लिखल अछि ।

इ तस्वीर  नग्न रहल आ बाँहि पर आईएसआई लिखल रहलाक कारण पाकिस्तानमें खलबली मचल अछि ।

पाकिस्तानी मीडिया वीना मलिकके प्रवक्ता के अनुसार ओ कहियो एहन फ़ोटो नहि खिचबौने छथि । आ हुनकर फोटोके ओहन बनाओलगेल दाबा कएलनि अछि ।

मुदा एफ़एचएम इंडियाके संपादक बतौलनि जे तस्वीरमे कोनो प्रकारक बनाबटी नहि कएल गेल अछि । इ फोटो पत्रिकाके दिसंबरके अंकके कवर प प्रकाशित कएल गेल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन