Wednesday, August 03, 2011

ट्रक त्रिशुली नदिमे खस्लासँ ट्रक सहित २ गोटे बेपत्ता


नारायणगढ, श्रावण १८ । नारायणगढ मुग्लीड सडक खण्ड अन्तर्गत चितवनके चण्डीभन्याड गाबिस ९  स्थित चार किलोमे ट्रक त्रिशुली नदिमे खस्लासँ ट्रक सहित २ गोटे बेपत्ता भेल अछि ।

 काठमाण्डौसँ नारायणगढ दिस आबिरहल ना २ ख ८७५३ नंम्बरक ट्रक आइ भिन्सर त्रिशुली नदिमे खसल अछि । ट्रकमे सवार ५ गोटेमेसँ ३ गोटे सकुशल रहल पुलिस  जनौलक अछि ।  २ गोटे बेपत्ता भेल इलाका प्रहरी कार्यालय मुग्लीड जनौलक अछि । बेपत्ता होबयबलाके खोजी कार्य भरहल आ ट्रक सडकसँ करिब १ सय ५० मिटर निचा खसल पुलिस जानकारी देलक अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन