Wednesday, August 03, 2011

पुतौह नुका क रखने साउसके लाश भेटल


सर्लाही, श्रावण १८ । पुतौह किछदिन आगु हत्या क क घर पाछु नुका क रखने साउसके लाश आई पुलिस बरामद केलक अछि ।

 बसन्तपुर गाबिस ९ के ५५ बर्षक फुलेश्वरीदेवी साहके हुनके २० बर्षक पुतौह सहेली देवी हत्या केने पुलिस जनौलक अछि । हत्या अभियोगमे सहेलीके पुलिस गिरफ्तार केलक अछि ।

 सहेली किछदिन आगु साउसके हत्या क क घर पाछुके बारीमे नुका क रखने स्वीकार केलिह अछि । प्रहरी उपरीक्षक मोहनराज जोशीके अनुसार मृतकके पति रामचन्द्र साह आ पुतौहक पति भारतमे काम करय गेलास घरमे साउस पुतौह मात्रे छल । हत्याके कारण  खुजय नहि सकल पुलिस जनौलक अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन