Wednesday, August 03, 2011

माओवादी मन्त्रीसबहक लेल आचार संहिता जारी


१८ साउन, काठमाडौं । एकीकृत नेकपा माओवादी पार्टीके दिसस सरकारमे सहभागी मन्त्रीसबहक लेल आचार संहिता जारी केलक अछि ।

पार्टी अध्यक्ष प्रचण्डक निवास नयाँबजारमे आइ बैसल माओवादी पदाधिकारीसबहक पार्टीके दिससँ सरकारमे सहभागी मन्त्रीसबके पालना करयबला आचार संहिता जारी केलक अछि ।

माओवादी आचार संहितामे भ्रष्टाचारमुक्त प्रशासन राखय, जनताके काममे ढिलासुस्ती नहि करय आ जनयुद्धक सहिद तथा घाहिलसबके लेल राहत कार्यक्रम लाबय कहलगेल अछि ।

माओवादी पदाधिकारी बैसारसँ सरकारमे सहभागी मन्त्रीसबहक भुमिकाके अनुगमनके लेल अलगे संयन्त्र बनाबयके निर्णय केने सचिव सिपी गजुरेल जानकारी देलनि । संयन्त्र नहि बनयधरि पदाधिकारीसब मन्त्रीसबसँ समन्य करत ।

पदाधिकारी बैसारसँ शान्ति प्रकृया आ संविधान लेखन प्रकृयामे केन्द्रीय समिति पारित केने नीतिगत निर्णयके कार्यान्व्यन करयके निर्णय केलक अछि । बैसारसँ शान्ति प्रकृया आ संविधान लेखन प्रकृयाके आरो दलसँग बिमर्श क क गति देबयके निर्णय केलक अछि ।

माओवादी केन्द्रीय समिति बैसारसँ याह भादव १४ धरिमे लडाकुके पुनर्वर्गीकरण करयके या संविधानक पहिल मस्यौदा तयार करयके प्रचण्डक प्रस्तावके पारित केने छल

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन