Wednesday, August 03, 2011

सुरक्षामे लापरबाही हाएत त नहि सहब ।। गृहमन्त्री


१८ साउन, नेपालगञ्ज । नवनियुक्त उपप्रधान तथा गृहमन्त्री नारायणकाजी श्रेष्ठ गृह प्रशासन आ सुरक्षा निकायके अधिकारी शान्ति सुरक्षा कायम करयमे लापरबाही करत त अपनाके बर्दाश्त नहि हाएत बतौलनि अछि ।

दु दिना मध्यपश्चिमाञ्चल स्तरीय सुरक्षा जमघटके आइ नेपालगञ्जमे उद्घाटन करैत श्रेष्ठ देशके शान्ति सुरक्षा आ अमन चयनमे बाधा पहुँचाबयबला ककरो सरकार नहि छोडत चेतावनी देलनि  । शान्ति सुरक्षा कायम करयके  काजमे निर्भिक भ लागय सुरक्षा निकायके अधिकारीके निर्देशन दैत श्रेष्ठ राजनीतिक दबाबमे अपरधीके उन्मुक्ति नहि देबय निर्देशन देलनि । सुरक्षा निकायके जिम्मेवार व्ययक्तिसब कोनो राजनीतक दल या विचारसँ प्रभावित होबय  नहि होबयमे जोड दैत ओ जँ ओहन भेल त सरकार कडा कारबाही करत चेतावनी देलनि ।

जमघटमे मध्यपश्चिमाञचलके सुरक्षा अवस्थाके बर्तमान अवस्था आ चुनौती तथा भावी सुरक्षा रणनितीबारे बिमर्श हाएत नेपाल प्रहरीके प्रवक्ता नवराज ढकाल जानकारी देलनि ।

जमघटमे गृहसचिव लीलामणि पौडेल सहित तीनु सुरक्षा निकायके प्रमुखसब, क्षेत्रीय प्रशासक, मध्मपश्चिमाञ्चल क्षेत्रके १५ जिल्लाके प्रमुख जिल्ला अधिकारी आ तीनु सुरक्षा निकायके जिल्लास्थित प्रमुखसब सहभागी अछि । आहिसँ आगु मध्यमाञ्चलके काभ्रेमे, पूर्वाञ्चलके विराटनगरमे आ पश्चिमाञ्चलके पोखरामे क्षेत्रीय सुरक्षा जमघट भ चुकल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन