Wednesday, August 03, 2011

सिरहाके कर्जन्हा ६ के बासीसब अन्हारमे रहय बाध्य


साउन १८, सिरहा । नेपाल बिधुत प्राधिकरणके लापरबाहीके कारण सिरहाके कर्जन्हा ६ के बासीसब अन्हारमे रहय बाध्य भेल अछि ।
कर्जन्हा ६ स्थित बगहा गाममे रहल बिधुतके ट्रान्सफरमरमे आएल खराबीके कारण ओतयके स्थानियबासी बेर बेर प्रधिकरणसँ शिकायत केलाबादो ट्रान्सफरमर ठिक नहि भेलाबाद महिनौ दिनसँ अन्हारमे रहय बाध्य भेल अछि ।
ट्रान्सफरमर खराब भेलाबाद ओतयके सयौ गामबासी अन्हारमे रहय बाध्य भेल अछि । जल्दिए ट्रान्सफरमर ठिक नहि भेल त गामबासीसब आन्दोलन करयके चेतावनी सेहो देलक अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन