Wednesday, August 03, 2011

रेल्वे अधिग्रहणके बियोगमे हृदयघातसँ जनकपुरमे एक गोटेके मृत्यु


साउन १८, जनकपुरधाम । रेल्वे अधिग्रहणके बियोगमे हृदयघातसँ जनकपुरमे एक गोटेके मृत्यु भेल अछि ।
नेपाल सरकार बिभेदपुर्ण तरिकासँ मनमानी ढँगसँ जमिन अधिग्रहण केला कारण जनकपुर वाड नम्बर १६ किसोरी नगर रहनियार ४२ बर्षक राधेश्याम ठाकुरके मृत्यु भेल नेपाल रेल्वे पिडित सँघर्ष समिति जनौलक अछि ।
समिति एक बिज्ञप्ति जारि क समितिक सदस्य समेत रहल ठाकुरके जमिन अधिग्रहणमे परलासँ असहय भ बियोगसँ काल्हि मृत्यु भेल जनौलक अछि ।
अहिस आगु समिति जमिनक दोब्बर मुआब्जा, नगर क्षेत्रमे पुनर्वास, एक घर एक ब्यक्तिके रेल्वेमे रोजगारी आ जमिन अधिग्रहण समान रुपसँ करय सहितक बिभिन्न १० सुत्रिय माँग रखैत जिल्ला प्रशासन कार्यालय धनुषामे ज्ञापन पत्र बुझौने छल ।
मृतक ठाकुरके कनिया, ३ टा बेटी आ १ टा बेटा रहल अछि । राज्यद्वारा बिकासक नाममे कएलगेल असमान नितिके कारण मानसिक यातनासँ ठाकुरके मृत्यु भेल कहैत समिति मृतकके शहिद घोषणा, पिडित परिवारके १० लाख रुपैया क्षतिपुर्ति देवयके माँग केलक अछि । सँगहि समिति रखने १० सुत्रिय माँगके अबिलम्ब पुरा करय बिज्ञप्ति मार्फत माँग कएलगेल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन