Monday, October 10, 2011

जगजित सिँह आब नहि रहलाह


२३ आसिन, काठमाडौं । भारतीय चर्चित गजलकार जगजीत सिंहक निधन भेल छन्हि । हुनक मुम्बईके लीलावती अस्पतालमे इलाजक क्रममे आइ भिन्सर निधन भेल बिभिन्न  भारतीय सञ्चार माध्यमसब जनौलक अछि ।

७० बर्षक उमेरमे  जगजितके निधन भेल अछि । राजस्थानके श्रीनगरमे ८ फेब्रअरी, १९४१ मे जन्म भेल सिंहके ब्रेन हेमरेज भेलाबाद शुक्रदिन अस्पताल भर्ना कराओलगेल छल ।

हिन्दी, उर्दू, पन्जाबी, भोजपुरी, नेपाली सहितक अनेक भाषामे गजल गाबिचुकल सिंहके भारत सरकार सन् २००३ मे सर्वोच्च नागरिक सम्मान मध्येके एक पद्मभूषणसँ सम्मान केने छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन