२३ आसिन, जनकपुर । नेपाल आयल निगम पेट्रोलियम पदार्थक मोलमे बृद्धि केलक अछि । निगम सञ्चालक समितिक आइ बैसल बैसारसँ आइ भिन्सर १० बजेसँ लागू होबय जका पेट्रोल, डिजेल आ मटिया तेलक मूल्यबृद्धि केलक अछि ।
पेट्रोलमे प्रतिलिटर ३ आ डिजेल तथा मटिया तेलमे प्रतिलिटर १-१ रुपैयाँ बृद्धि कएलगेल निगमक प्रवत्ता मुकुन्द ढुङ्गेल जानकारी देलनि । मूल्यबृद्धिके बाद पेट्रोल प्रतिलिटर १ सय ५ रुपैयाँ भेल अछि तऽ डिजेल आ मटिया तेलके मूल्य प्रतिलिटर ७६ पहुँचल अछि ।
प्रवत्ता ढुङ्गेलक अनुसार आइके मुल्यबृद्धि बाद आयल निगमके पेट्रोलमे ७५ पैसा नाफा भेल अछि तऽ डिजेलमे १० रुपैयाँ १ पैसा आ मटियातेलमे १ पैसा घाटा रहल अछि । खाना पकाबयबला एलपी ग्यासके मूल्य पुराने दरमे रहल अछि । ग्यासमे निगमके प्रतिसिलिण्डर ३ सय ५ रुपैयाँ ६४ पैसा घाटा अछि ।
आजुक मुल्यबृद्धिके बाद निगमके मासिक घाटा ८३ करोडसँ घटि कऽ ७० करोड ६० लाख रुपैयाँ हाएत ।
No comments:
Post a Comment