Monday, October 10, 2011

मनोमानी भाडा असुली बन्द कराबय प्रधानमन्त्रीक निर्देशन


काठमाडौ, आश्विन २३ । प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराई सार्वजनिक यातायातके क्षेत्रमे सर्वसधारणके भोगय परल समस्या नियन्त्रण करय सम्बन्धित मन्त्रालयके निर्देशन देलनि अछि ।

 सार्वजनिक यातायातके साधनसँ यात्रुसबसँ मनोमानी ढँगसँ भाडा असुल केने तथा पावनि तिहारक समयमे टिकटके कालाबजारी केने उपराग एलाबाद प्रधानमन्त्री श्रम तथा यातायात व्यवस्था मन्त्रालयके सचिव डा. रामहरी अर्यालके ओइके नियन्त्रणके लेल निर्देशन देलनि अछि ।

बस तथा जीप काउन्टरसबमे सरकार तोक्ने भाडा दर सूची नहि राखलगेल तथा यात्रुसबसँ बेसी भाडा असुल्ने शिकायत एलाबाद प्रधानमन्त्री भट्टराई बस तथा जीप काउन्टरके अनुगमन करय समेत निर्देशन देलनि अछि । प्रधानमन्त्री यात्रुसबसँ बेसी भाडा असुल्यबलाके तत्काल कारवाही करय सेहो निर्देशन देने हुनक सहयोगी विश्वदीप पाण्डे बतौलनि । 

बेसी भाडा लेने पाओल गेल तऽ तत्काल सम्बन्धित निकायमे खवर करय लेल सार्वजनिक नम्बरके व्यवस्था करय सेहो प्रधानमन्त्री कहने छथि ।

अहिना राजमार्गके होटलसबमे अनुगमन करितो ओ होटलसबमे सुधार नहि भेल तथा ग्राहकसबके ठकयके प्रवृत्ति नहि रुकल शिकायत एलाबाद प्रधानमन्त्री भट्टराई ओहन व्यापारीके कारवाही करय सम्बन्धित अधिकारीके निर्देशन देलनि अछि ।

राजमार्गके होटलसबमे होबयबला ठगीके विषयमे टेलिफोन मार्फत तत्काल जानकारी कराबय प्रधानमन्त्रीके निजी सचिवालयके टेलिफोनमे सम्पर्क करय आग्रह कएलगेल अछि । यात्रुसबसँग बेसी भाडा असुल्ने पाओलगेल तऽ या कोनो जनसरोकारके ठाममे होबयबला ठगीके विषयमे प्रधानमन्त्रीक निजी सचिवालयके टोल फ्रि नम्बर ११११ आ स्वकीय सचिवालयके मोवाईल नम्बर ९८ ४१४ ९३ ६८७ मे तत्काल फोन कऽ जानकारी कराबय कहल गेल अछि । ठगीके जानकारी होइते तत्काल कारवाही प्रक्रिया आगु बढाओल जाएत नीजि सचिवालय जनौलक अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन