Monday, October 10, 2011

बर्तमान सरकारक औचित्य समाप्तः ओली


२३ आसिन, चितवन । नेकपा एमालेक नेता केपी शर्मा ओली ४५ दिनभितर शान्ति प्रक्रियाके मुलभुत काम करय नहि सकत तऽ सरकारक औचित्य समाप्त हाएत बतौलनि अछि ।

आइ चितवनके पर्सामे प्रेस चौतारी केने पत्रकार भेटघाटमे नेता ओली प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराइ कहने ४५ दिनक समय पुरा होबय लगितो अइमे कोनो प्रगति नहि भेल बतौलनि ।

अखन सरकारक मुख्य जिम्मेवारी शान्ति आ संबिधान निर्माणके निष्कर्षमे पहुँचनाइ रहल बतबैत ओली आरो खेला देखा कऽ कमौने चर्चाके कोनो मूल्यांकन नहि हाएत बतौलनि । ओ २ टा प्रमुख दल प्रतिपक्षमे रहल समय सरकार जनताके हितमे काम करत कहनाइ लज्जास्पद रहल बतौलनि ।

नेता ओली बर्तमान सरकारके ढहल पहाडक संज्ञा देलनि । एखुनक सरकारके एमाले सहयोग करत मुदा रास्ता बिसरत तऽ खबरदारी करय  पाछु नहि परत हुनक कहब छलनि ।

नेता ओली सरकार निर्माणके क्रममे माओवादी आ मधेशी मोर्चाबीच भेल ४ बुंदे सम्झौता राष्ट्रघाती भेल दावी कयलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन