Monday, October 10, 2011

संस्थापन पक्ष पार्टी फोरय चाहिरहल चन्दके आरोप


२३ आसिन, काठमाडौं । एकीकृत नेकपा माओवादीक नेता नेत्रविक्रम चन्द विप्लब आसिन २९ गतेके राष्ट्रिय कार्यकर्ता प्रशिक्षण भेला बजा कऽ संस्थापन पक्ष पार्टी फोरय चाहने आरोप लगौलनि अछि ।

आइ राजधानीमे आयोजित साक्षात्कार कार्यक्रममे नेता चन्द संस्थापन पक्ष पार्टीके भेला बजा कऽ पदके दुरुपयोग केने कहैत संस्थापन पक्ष पार्टी फोरय चाहने आरोप लगौलनि ।

अपनासब अध्यक्षके भेला रोकय आग्रह केने कहैत ओ नहि रोकल गेल तऽ ओइसँ पार्टी फुटयके सँभावना बढय सकयके चेतावनी देलनि ।
ओ दुनु भेला स्थगित कऽ क केन्द्रीय समितिक बैसारमे बिमर्श केलाबाद मात्रे भेला बजाबऽ सुझाव देलनि । ओ केन्द्रीय कमिटिक बैसारके निर्णयसँ अध्यक्षे भागय चाहने आरोप लगौलनि ।

प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराई अपनासबके धोका देने कहैत ओ चारि बुँदे सहमति, लडाकुके हतियार रखने कन्टेनरके चाबी बुझाबयके निर्णयके बाद सरकारक औचित्य समेत समाप्त भेल जिकिर कएलनि । ओ कहलनि-चारि बुँदे सम्झौता बाद सरकार कमजोर भऽ चुकल अछि । इ सरकार पूर्ण आकारमे क्रियाशिल होबय नहि सकत । हमसब इ सरकारके रिजेक्ट क देलौ ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन