Monday, October 10, 2011

चेकमे अनियमितता कऽ बेसी रकम बैँकसँ निकाल्ने खुलासा


२३ आसिन जनकपुरधाम । जनकपुरक जनता माबि बेल्ही रजौलसँ एक शिक्षक तलबके लेल पौअने चेकमे अपना तरिकासँ अनियमितता कऽ बेसी रकम बैँकसँ निकाल्ने खुलासा भेल अछि ।

बिद्यालयके प्रधानाध्यापक बिन्देश्वर यादव वायह स्कुलक शिक्षक जनकपुर १४ रहनियार जय कुमार यादवके  तलब २ बेर चेक मार्फत भुक्तानी केने छलथि । मुदा दुनु बेर शिक्षक यादव चेकमे गडबडी कऽ बेसी रकम बैँकसँ निकाल्ने छल ।

श्रोतक अनुसार शिक्षक जय कुमारके २०६६ पुष २० गते ६ हजारक चेक देल गेल छल जाहिके ओ ६ के आगु १ लिख कऽ १६ हजार बना कऽ ओ रकम निकाल्ने छलथि । अहिना दोसर बेर २०६७ जेष्ठ १८ गतेमे हुनका ३ हजारके चेक देल गेल  छल । जाहिमे सेहो ओ ३ हजारके आगु एकटा आओर ३ थपि कऽ ३३ हजार रकम निकाल्ने छल ।

बादमे बिद्यालयके लेखा आँडिट करयके समय नेपाल बैँकके स्टेटमेन्ट आ आँडिटके क्रममे मिलान केलाबाद ओ ओइ समयमे ओतेक रकम निकालि कऽ धोकाधडी केने रहस्य खुजल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन