Monday, October 10, 2011

मिस्रके हिंसामें २३ गोटेके मृत्यु, काहिरामें कर्फ़्यू


२३ आसिन मिस्र । मिस्रके राजधानी काहिरामें प्रशासन कॉपटिक ईसाई समुदायके लोग आ सुरक्षाकर्मीके बीच झड़प भेलाबाद कर्फ़्यू लगौलक अछि । अहि हिंसामें अखनधरि २३ गोटेके मृत्यु भऽ चुकल अछि तऽ १ सय ५० सँ बेसी गोटे घाइल भेल अछि ।

 ईसाई समुदायके लोग मिस्रमें एकटा चर्चके जरौने कहैत बिरोधमे प्रदर्शन कऽ रहल छल ।

टीवी पर देखाओल जाऽ रहल दृश्यके अनुसार प्रदर्शनकारी सैना उपर  पेट्रोल बम फ़ेंकने छल आ सरकारी टेलीवीज़नके भवनके सँगे सेनाके गाडीमे सेहो आगि लगौने छल ।

कॉपटिक ईसाइके आरोप अछि जे असवान प्रांतमें एकटा चर्चके जराबयमे कट्टरपंथ मुसलमानके सेहो हाथ अछि । जाहि कारण ओ सब क्षेत्रीय गवर्नरके हटाबयके माँग कऽ रहल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन