Thursday, November 17, 2011

डीएफओके सरुवा करय मन्त्री मँगलक १० लाख घुस


१ अगहन, काठमाण्डौ । दश लाख घुस देबय नहि सकलाबाद नेपाल प्रकृति संरक्षण कोषक प्रमुख जुद्ध बहादुर गुरुङके बर्खास्त केने बनमन्त्री मोहम्मद वकिल मुसलमान जिल्ला बन अधिकृत-डीएफओसबके सरुवा करय लेल सेहो ८ सँ १० लाख मँगने खुलासा भेल अछि ।

अपने काठ ब्यापारी समेत रहल मन्त्री मुसलमान काठके आर्कषक कारोवार होबयबला जिल्लासबमे सरुवा करय डिएफओ सबसँग पैसा उठारहल बिश्वस्त स्रोतके हवाला दैत रिपब्लीक दैनिक जनौलक अछि ।

बन मन्त्रालयके उच्च अधिकारीके सहमतिए बिना बनमन्त्री मुसलमान ११ डिएफओसबके सरुवा केलक अछि तऽ अन्य १३ अधिकृतसबके सेहो किछुए  दिनमे सरुवा करयके तयारी भऽ रहल बताओल गेल अछि । ओसब मन्त्रीके आठ सँ १० लाखधरि नजराना बुझौने स्रोतक दावी अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन