Thursday, November 17, 2011

पैघ परिमाणमे अत्याधुनिक हतियार बरामद


१ अगहन पर्सा । पर्साके सिर्सिया खल्वाटोला गाविस-४ सँ आइ भिन्सर पुलिस पैघ परिमाणमे अत्याधुनिक हातहतियार बरामद केलक अछि ।

पर्सा पुलिस स्थानीय जयमंगल कुर्मीके घरसँ २ थान एसएमजी, ओइके ४ थान म्याग्जिन, १ थान कटुवा पेस्तोल, ओइके ६ राउण्ड गोली, एक थान एयरगन आ दु टा मोटरसाइकल बरामद केलक अछि । विशेष सुराकीके आधारमे जिल्ला प्रहरी कार्यालय पर्सासँ प्रहरी नायव उपरीक्षकद्वय दिवेश लोहनी आ रवीन्द्र केसीके नेतृत्वमे खटल टोली कुर्मीके घरमे छापा मारि कऽ हतियार बरामद केलक अछि । पुलिस कुर्मीके घरेसँ एक युवकक�A5� नियन्त्रणमे लैतो ओकर परिचय नहि खुलौने अछि ।

हतियार भेटल घरके मालिक जयमंगल कुर्मी फरार रहल जिल्ला प्रहरी कार्यालय पर्साक प्रवक्ता रवीन्द्र केसी जाE0��कारी देलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन