Thursday, November 17, 2011

ट्रयाक्टर दुर्घटनामे तीनके मृत्यु, दु गम्भीर घाइल


१ अगहन, पाँचथर । मध्यपहाडी लोकमार्ग अन्तर्गत पाँचथरके ओयाम गाविस-३ स्कुलडाँडा कहायबला स्थानमे ट्रयाक्टर दुर्घटना भेलासँ तीन गोटेके मृत्यु भेल अछि ।

अन्य दु गोटे गम्भीर घाइल भेल अछि । मध्यपहाडी लोकमार्ग निर्माणक लेल थर्पुसँ जाली लऽ च्याङथाफु तर्फ जाऽ रहल मे १ त १७१२ नम्बरक ट्रयाक्टर दुर्घटना भेल पाँचथर प्रहरी जनौलक अछि । जिल्ला प्रहरी कार्यालय पाँचथरक सञ्चार शाखामे कार्यरत प्रहरी जवान राजन भट्टराईके अनुसार मृत्यु होबयबलामे सिन्धुपाल्चोक गुन्साङ-३ के विजय बम्जन, वायह गाविस-१ के सोमबहादुर थिङ आ ओखलढुंगाके कान्छा लामाके घटनास्थलेमे मृत्यु भेल अछि ।

घाइल ट्रयाक्टर चालक पाँचथर जोरपोखरी बजारके मिलन शिवाकोटी आ सिन्धुपाल्चोक गुन्सा-६ के कावा बम्जनके जिल्ला अस्पताल पाँचथरमे इलाज सम्भव नहि भेलाबाद थप इलाजक लेल विराटनगर पठाओलगेल पुलिस जनौलक अछि । गम्भीर अवस्थामे ओकरसबहक विराटनगरस्थित न्यूरो अस्पतालमे इलाज भऽ रहल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन