Thursday, November 17, 2011

संवैधानिक उपसमितिक बैसार स्थगित


१ अगहन, काठमाडौँ । भावी संविधानक विवादित विषयमे सहमति खोजय बनल संवैधानिक उपसमितिक आजुक बजाओलगेल बैसार स्थगित भेल अछि ।

राजनीतिक दलक शीर्ष नेतासब विज्ञ समूह गठनक विषयके लऽ भेल संसदके अवरोध हटाबयके प्रयासमे आन्तरिक तथा बाहृय बिमर्शमे व्यस्त रहलासँ बैसार स्थगित भेल बताओलगेल अछि । बैसारमे उपसमितिद्वारा गठित कार्यदल शासकीय स्वरुप तथा निर्वाचन प्रणालीके विवादित विषयमे तयार केने प्रस्तावके बारेमे बिमर्श होबयके कार्यसूची छल । कार्यदल फ्रेन्च मोडेलके शासकीय स्वरुप आ मिश्रित निर्वाचन प्रणाली होबयके सहमति जुटौने छल । मुदा, दलसबबीच ओ विषयमे बात मिलय नहि सकल अछि ।

माओवादी आ मधेसी मोर्चामे आवद्ध दलसब जनतासँ प्रत्यक्ष निर्वाचित कार्यकारी राष्ट्रपति, कांग्रेस संसदसँ निर्वाचित आलङ्कारिक राष्ट्रपति आ संसदेसँ निर्वाचित कार्यकारी प्रधानमन्त्री तथा एमाले जनतासँ प्रत्यक्ष निर्वाचित प्रधानमन्त्री तथा संसदसँ निर्वाचित आलङ्कारिक राष्ट्रपति होबयके अडानमे अछि ।

उसमिति विवाद समाधानक लेल उपयुक्त प्रस्ताव तयार करयके जिम्मेवारी सहित सद्भावना नेता एवं उपसमिति सदस्य लक्ष्मणलाल कर्ण संयोजकत्वमे माओवादीसँ खिमलाल देवकोटा, कांग्रेससँ राधेश्याम अधिकारी तथा एमालेसँ अग्नि खरेल आ सपना मल्ल प्रधान सदस्य रहल कार्यदल गठन केने छल । दलसबबीच शासकीय स्वरुप आ निर्वाचन प्रणालीमे अखनो २२ टा वियषमे विवाद अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन