Thursday, November 17, 2011

‘संविधान सभाक म्याद ६ महिना थपय परत’


विराटनगर, अगहन १ । उपप्रधान तथा गृहमन्त्री विजय गच्छदार संविधान सभाक म्याद अन्तिम बेर ६ महिनाके लेल थपय परत बतौलनि अछि । शान्ति प्रक्रिया संगसंगै संविधान निर्माण करय सेहो समयके आबश्यक्ता रहलासँ अन्तिम बेर म्याद थप करय परत हुनक तर्क छलनि ।

मधेसी जनअधिकार फोरम लोकतान्त्रिकके अध्यक्ष समेत रहल गच्छदार संविधान सभाके अस्तित्व शान्ति प्रक्रिया आ संविधान लेखन पुरा नहि होबयधरि रहय परत विचार व्यक्त कएलनि । इटहरीमे आइसँ सुरु भेल पूर्वाञ्चल महोत्सवके उद्घाटनक लेल पहुँचल गच्छदार विराटनगर विमानस्थलमे संचारकर्मीसबसंग बात करैत अदालत अन्तिम बेर म्याद थप करय केने फैसला बारे अदालतके फैसला संविधान सभाके विरुद्धमे नहि अछि बतौलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन