Thursday, November 17, 2011

लडाकु वर्गीकरण कार्यतालिका प्रभावित


अगहन, काठमाडौँ । माओवादी सेनाक लडाकुसबहक पुनवर्गीकरण कार्यतालिका प्रभावित भेल अछि

दलसबबीच राजनीतिक सहमति होइतो सेना समायोजन विशेष समिति अपना मातहतक सचिवालय तयार केने समायोजन, पुनर्स्थापना स्वेच्छिक अवकास सम्बन्धी प्याकेज अनुमोदन होबय हि सकलासँ वर्गीकरण कार्य प्रभावित भेल अछि । प्रमुख दलसबबीच सातबुँदे सहमतिम नेपाली सेना मातहत अलगे महानिर्देशनालय गठन कऽ ६ हजार ५ सय लडाकु समायोजन करयके तथा पुनर्स्थापना स्वेच्छिक अवकासम जा चाहयबला लडाकुक पुनवर्गीकरण अगहन सात गतेभित सम्पन्न करयके सहमति भेल छल

मुदा, समिति सदस्यसब कांग्रेसक रामशरण महत मीनेन्द्र रिजाल, एमालेक ईश्वर पोखरेल, फोरम गणतान्त्रिकक जेपी गुप्ता फोरम लोकतान्त्रिकक जितेन्द्र देव बैसार छोडि कऽ अमेरिका घुमेलासँ विशेष समिति बैसार बेर बेर स्थगित भेल छल। विशेष समिति समयम निर्णय कऽ वर्गीकरण टोलीके लडाकु शिविर नहि पठौलासँ कार्यतालिका अनुसार काम होबय हि सकत सचिवालय संयोजक बालानन्द शर्मा जानकारी देलनि

काल्हिसँ वर्गीकरण शुरु भऽ जाएक चाहीमे विशेष समिति अन्तर्गत सचिवालय मातहतक सर्वेक्षण टोली आ  सात मुख्य शिविरमे जाऽ रहल अछि । सचिवालय संयोजक बालानन्द शर्मा नेतृत्वक ४० सदस्यीय टोली काल्हिए चितवनक शक्तिखोरस्थित तेस डिभिजन मुख्यालय पहुँच चुकल अछि

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन