Thursday, November 17, 2011

अमरीकी विमानसँ कएल गेल हमलामे कम सँ कम १२ गोटे चरमपंथीके मृत्यु


पाकिस्तान अगहन १ । पाकिस्तानके क़बायली क्षेत्रमे चालक रहित अमरीकी विमानसँ कएल गेल हमलामे कम सँ कम १२ गोटे  चरमपंथीके मृत्यु भेल अछि ।

दक्षिणी वज़ीरिस्तानके एक गांवमें अफ़ग़ानिस्तानके सीमा लग इ हमला भेल बताओल जाऽ रहल अछि ।

ज्ञातब्य जे इ हमला उत्तरी वज़ीरिस्तानमें ड्रोन हमलाके २ दिन बाद भेल अछि । ओ हमलामें ६ गोटेके मृत्यु भेल छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन