१ कात्तिक, काठमाडौँ । सत्तारुढ मधेसी जनअधिकार फोरम लोकतान्त्रिक बाबुराम भट्टराईके नेतृत्वमे सरकार गठन होबयसँ आगु एकीकृत नेकपा माओवादी आ संयुक्त मधेसी मोर्चाबीच भेल ४ बुँदे सहमति आ रक्षामन्त्रीके अभिव्यक्तिबारे माओवादीसँग स्पष्ट धारणा माँग केलक अछि ।
माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’ सँ भेटय हुनके निवास नयाँ बजार पहुँचल लोकतान्त्रिक अध्यक्षसमेत रहल उपप्रधान तथा गृहमन्त्री विजयकुमार गच्छदार सहितक नेता प्रचण्डसँग धारणा मँगने छथि । भेटके बाद सञ्चारकर्मीसबसँग बात करैत गच्छदार ४ बुँदेके परिमार्जन या पुर्नब्याख्या करयके बिषयमे बाहर आएल बातके विषयमे अभिव्यक्तिबारे आधिकारीक धारणा माँग कएल गेल बतौलनि । माओवादीसँ ओइ बिषयमे स्पष्ट प्रतिबद्धता नहि आओत तऽ रक्षामन्त्री शरतसिंह भण्डारीके राजीनामा नहि आओत फोरम लोकतान्त्रिक माओवादी नेतृत्वके बतौलक अछि ।
जवाफमे माओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड ४ बुँदे सहमतिप्रतिके अपन पार्टीके प्रतिबद्धतामे शंका नहि करय आग्रह करैत रक्षामन्त्रीके अभिव्यक्तिबारे आइए साँझधरिमे आधिकारीक धारणा सार्वजनिक करयके जवाफ देने छलथि । किछ दिन आगु राजधानीमे आयोजित एक कार्यक्रममे बजैत अध्यक्ष प्रचण्ड ४ बुँदेके परिमाजर्न करय सकयके बतौने छलथि तऽ माओवादी संसदीय बोर्ड रक्षामन्त्रीके अभिव्यक्ति राष्ट्रघाती रहल ठहर करैत राजीनामा देबय सुझाव देने छल ।
No comments:
Post a Comment