Tuesday, October 18, 2011

संसदके बैसार आइ सेहो अबरुद्ध


१ कातिक काठमाडौँ । व्यवस्थापिका संसदके बैसार आइ सेहो अबरुद्ध भेल अछि ।

रक्षामन्त्री शरद्सिंह भण्डारीके राजिनामा आ भूमिसुधार तथा व्यवस्थामन्त्री प्रभु साहके कारबाहीके जानकारीके माँग करैत प्रतिपक्षी दल काङ्ग्रेस, एमाले सहितक सब विरोध केलाबाद संसद चलय नहि सकल अछि । रक्षामन्त्रीके राजिनामा नहि देबयधरि संसद चलय नहि देब प्रतिपक्षी दलसब बतौलक अछि । लगातार  अबरुद्ध होइत आबिरहल बैसार काल्हि बेरिया १ बजेके लेल फेउर बजाओल गेल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन