Tuesday, October 18, 2011

विवादित विषयमे बिमर्श नहि करय प्रधानमन्त्रीके माओवादीक निर्देशन


१ कात्तिक, काठमाडौँ । एकीकृत नेकपा माओवादी प्रधानमन्त्री डा.बाबुराम भट्टराईके आसन्न भारत भ्रमणके क्रममे विवादित विषयम बिमर्श नहि करय निर्देशन देलक अछि ।

अध्यक्ष प्रचण्डक निवास नयाँ बजारमे आइ भिन्सर बैसल स्थायी समिति बैसारसँ पार्टी उपाध्ययक्ष समेत रहल प्रधानमन्त्री भट्टराईके ओहन निर्देशन दलक अछि । विवादित सन्धि सम्झौता सहितक विषयमे बिमर्शे नहि करयके निर्णय भेल बैसारक बाद प्रवक्ता दिनानाथ शर्मा बतौलनि । शर्माके अनुसार बैसारसँ प्रधानमन्त्रीके भारत भ्रमण नितान्त सदभावना बनाबय निर्देशन केलक अछि । विवादित विषयसबमे राष्टिठ्रय सरकार बनलाबाद दु देशबीच बिमर्श करय उपयुक्त हाएत माओवादी निष्र्कर्ष निकाललक अछि ।

माओवादी प्रधानमन्त्री भट्टराइके भ्रमणके क्रममे दु देशबीचक सम्बन्ध सुधारय लेल सेहो कहने अछि । अहिसँ आगु दु बेरधरि पार्टी अध्यक्ष प्रचण्ड बजौने बैसार बहिस्कार केने उपाध्यक्ष मोहन बैद्य पक्ष सहो बैसारमे सहभागी छलथि । प्रधानमन्त्री भट्टराई कात्तिक ३ गते ४ दिना औपचारिक भ्रमणके सिलसिलामे नयाँ दिल्ली प्रस्थान करय लागल छथि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन