Tuesday, October 18, 2011

सर्वदलीय टोलीद्वारा एसएसबीके ज्यादतीके अध्ययन


१ कात्तिक, काठमाडौँ । भारतीय सीमा सुरक्षा बल एसएसबी नेपाली भूमिमे प्रवेश कऽ तोडने कञ्चनपुरक भीमदत्तनगर-११ स्थित भुजेला टोलके घर आ दोकानसबहक स्थानीय सर्वदलीय टोली अध्ययन केलक अछि ।

टोलीमे जिल्लास्थित एकीकृत माओवादी, कांग्रेस, एमाले आ स्थानीय प्रहरी प्रशासनके संयुक्त टोली आइ भिन्सर भजेलाके स्थलगत निरीक्षण केलक अछि । हतियारसहित आएल एसएसबीके जवानसब काल्हि महाकाली कातमे रहल भुजेलावस्तीके भक्तबहादुर रानामगर, कल्याण पाल आ उचित पालके घर तोडने छल । बेरियाक १ बजेदिस आएल एसएसबी इ हमर भूमि अछि, तु नेपालीसब भाग कहैत घर तोडने छल । घर झोपडी तोरि कऽ एसएसबी टोली जङ्गले-जङ्गल भारतदिस गेल छल ।

दशगजामे आबि कऽ कोनो काम करैत काल दुनु देशके उच्चस्तरीय सहमती आवश्यक होइतो भारत विभिन्न समयमे नेपाली भूमि उपर हस्तक्षेप करैत आएल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन