Tuesday, October 18, 2011

मोस्ट वान्टेड सिकन्दर भारतमे गिरफ्तार


नेपालगन्ज, कार्तिक १ । नेपाल पुलिसक अत्यधिक खोजी रहल सिकन्दर खां के भारतीय पुलिस गिरफ्तार कऽ  जेल चलान केलक अछि । बांकेमे विभिन्न ब्यक्तिके हत्या,अपहरण, बम विस्फोट आ चन्दा असुली जेहन अपराधिक गतिविधिमे संलग्न खांके अपन अन्य दु सहयोगी सहित गिरफ्तार कएल गेल अछि ।

सिमासँ करिब २० किलोमिटर दक्षिण नवावगंजमे गिरफ्तार भेल खां के हातहतियार तथा अपहरण उद्योगमे भारतीय पुलिस जेल चलान केलक अछि । बांके रनियापुर ५ के सिकन्दर तीन दिन आगु आरिफ आ मेराज नामक अन्य साथी सहित गिरफ्तार भेल अछि । भारतीय पुलिस ओकरासबके हतियार सहित गिरफ्तार केने जनौलक अछि ।

भारतीय सिमा क्षेत्रमे रहि कऽ पश्चिम तराईमे हिंसात्मक गतिविधि संचालन करैत आएल सिकन्दर २०६३ सालमे बेतहनीके माताप्रसाद कुर्मीके हत्या केने नेपाल प्रहरी जनौलक अछि ।

मधेस आन्दोलनमे लागल कुर्मीके हत्यासंगै नेपालगन्जक दु विद्यार्थीके अपहरण आ हत्यामे समेत सिकन्दरके संलग्नता रहल पुलिसक दावी अछि । सुरुमे ज्वालासिंह समुहक सदस्य रहल सिकन्दर अखन तराई जनतान्त्रिक पार्टी मधेसक थारुवान अवध क्षेत्रके पश्चिम कमाण्डर अछि ।

सिकन्दर कार्यरत भुमिगत समूहक अध्यक्ष मुकेश चौधरी अछि । ओसब बांके, वर्दिया क्षेत्रमे अपराधिक संजाल विस्तार करयके तयारी कऽ रहल समय सिकन्दर भारतमे गिरफ्तार भेल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन