Tuesday, October 18, 2011

किराँत वर्कर्सके सैन्य कमाण्डर गिरफ्तार


इटहरी, कातिक १ । पुलिसक खोजीके सुचिमे रहल सशस्त्र भुमिगत गतिविधि करैत आएल किराँत जनवादी वर्कर्स पार्टीके सैन्य कमाण्डरके पुलिस हतियारसहित गिरफ्तार कऽ सार्वजनिक केलक अछि ।

पुलिसक विषेश टोली इलाम दानाबारी ३ शुक्रबारेके २५ वर्षक विकास किराँती कहायबला प्रेम खालिङके धरानसँ गिरफ्तार केलक अछि । पुर्व क्षेत्रीय प्रहरी कार्यालय विराटनगरसँ खटल विशेष टोली धरान ८ सँ ओकरा हतियारसहित गिरफ्तार केलक अछि ।

गिरफ्तार भेल खालिङके सँगसँ पुलिस थ्रि नट थ्रि राईफलके गोली १८ राउण्ड, चन्दा रसिद, मोबाइल दु थान, मोटरसाइकल, पार्टीके लेटरप्याड सहितक सामानसब समेत बरामद केलक अछि ।

राईके विभिन्न अपराधमे संलग्न रहल आरोपमे पुलिस मोस्ट वान्टेडके सुचिमे रखने छल । अहिसँ आगु किराँत जनवादी वर्कस पार्टीके करिव डेढदर्जन केन्द्रिय नेतासबके पुलिस गिरफ्तार कऽ चुकल अछि । वर्कस पार्टी पुर्वी पहाडी जिल्लामे भुमिगत गतिविधि कऽ सर्वसाधारण, कर्मचारी सहितकके धम्की देबयबला, चन्दा असुलयबला सहितक गतिविधि करैत आएल अछि ।


No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन