Tuesday, October 18, 2011

रेल्वे, पिवयबला पाइन आ सडक यथाशिघ्र निर्माणक लेल माँग


१ कातिक जनकपुरधाम । भौतिक योजना तथा निर्माण मन्त्रि हृदयेश त्रिपाठीसँ रेल्वे, पिवयबला पाइन आ सडक यथाशिघ्र निर्माणक लेल माँग कएल गेल अछि ।

जनकपुर उद्योग बाणिज्य सँघ तथा नागरिक समाजक सँयुक्त प्रतिनिधि आइ जनकपुरमे मन्त्री त्रिपाठीसँ भेट कऽ रेल्वेके यथाशिघ्र निर्माण जनकपुरसँ निकलयबला महत्वपुर्ण सडकसबके निर्माण तथा स्वच्छ पिवयबला पाइनके लेल थप आयोजनाक  माँग केलक अछि । 

जवाफमे मन्त्री त्रिपाठि रेल्वेके कार्य द्रुतगतिसँ शिघ्र चालु हाएत आ एक डेढ महिना भितर प्रगति देखयमे आबि जाएत आश्वासन देलनि ।

हुनकासँग भेटय गेल प्रतिनिधिमण्डलमे जनकपुर उद्योग बाणिज्य सँघक अध्यक्ष श्याम प्रसाद साह, पुर्व अध्यक्ष राम नरेश प्रसाद साह, मानव अधिकारकर्मी प्राध्यापक बिजय दत्त , प्रध्यापक परमेश्वर कापडि, अबिनाश साजन, कृष्णदेब साह सहितक लोकैन्हसब सहभागी छलथि ।

अहिबिच मन्त्री त्रिपाठी कतेकौ बर्षसँ जनकपुरमे निर्माणाधिन रहल महेन्द् नारायण निधि मिथिला साँस्कृतिक केन्द्रक भवनक सेहो निरिक्षण कएलनि अछि । ओ अवसरमे ओ कहलनि जे भवन निर्माणक काज शिघ्र पुरा करय लेल मन्त्रालय पुरा सहयोग करत आ रकम अभावके कारण कहियो काज रुकय नहि देत ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन