Tuesday, October 18, 2011

मन्दिरमे वास बैसल तिर्थालुके पुलिस पिटलक


१ कात्तिक, महोत्तरी । महोत्तरीके जलेश्वर महादेव मन्दिरमे वास बैसल २० तिर्थालुके पुलिस बितलराति ओधबाध कऽ पिटलक अछि ।

प्रसिद्ध धार्मिकस्थल पडौलके कारिकस्थान मन्दिरसँ घुरि रहल समय राति भेलाबाद मन्दिरमे सुतय चाहला पर धनुषा मुसहरनियाके महिला आ पुरुष कऽ २० गोटेके पुलिस पिटलक अछि । जलेश्वर स्थायी पोस्टसँ प्रहरी सहायक निरीक्षक अजीतकुमार पाण्डेके नेतृत्वमे आएल पुलिसक टोली अपनासबके बिना कारणे लाठीसँ पिटने पीडित बतौलक अछि । हुनकासबके नहि पिटय आग्रह केलाबाद अपना उपर सेहो पिटपाटक प्रयास भेल महादेव मन्दिरक पुजारी आनन्द गिरी बतौलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन