Tuesday, October 18, 2011

माँग पूरा नहि हाएत तऽ कांग्रेस सरकारमे नहि जाएत :केसी


काभ्रे , कार्तिक १ । कांग्रेसक केन्द्रीय सदस्य अर्जुननरसिंह केसी शान्ति प्रक्रियाके तार्किक निष्र्कर्षमे पहुँचाबय लेल कांग्रेस आगु रखने माँगसब पूरा नहि होबयधरि अपन पार्टी सरकारमे नहि जाएत बतौलनि अछि ।

कांग्रेस रखने माँगसब पूरा करयके दर्जनौं बेर माओवादी सहमति करितो ओकर कार्यान्वयन नहि केने ओ आरोप लगौलनि । आइ नेपाल प्रेस युनियन जिल्ला शाखा केने पत्रकार सम्मेलनमे बजैत केसी  शान्ति प्रक्रियाके निष्कर्षमे पहुँचाबयके क्रममे केने माओवादी १२ बुँदे सम्झौतासँ अखनधरि भेल कोनो सम्झौताके कार्यान्वयनमे नहि लौलासँ अन्य राजनैतिक दलसबहक विश्वास गुमा चुकल दाबी कएलनि ।

 कब्जा कएलगेल सम्पत्ति बिना शर्त फिर्ता करयके, माओवादी लडाकु आ हतियारक व्यवस्थापन कऽ लडाकुके हतियार बिहीन बनाबयके काँग्रेसक माँग रहल केसी बतौलनि ।


No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन