Tuesday, October 18, 2011

४ बुँदेप्रति दृढ रहल माओवादीको कहब, रक्षामन्त्रीके राष्ट्रघाति नहि कहने दावी


१ कातिक , काठमाडौँ । एकीकृत नेकपा माओवादी सरकार निमार्णक क्रममे भेल ४ बुँदे सहमति कार्यान्वयनमे अपने दृढ रहल प्रतिक्रिया देलक अछि ।

आइ प्रेस विज्ञप्ती मार्फत ४ बुँदे सहमति राष्ट्रिय हितके संरक्षण आ नयाँ नेपाल निर्माणक दिशामे आगु बढयके  राजनीतिक दस्तावेज रहल स्पष्ट करैत ओइप्रति माओवादी पूर्णरुपमे प्रतिवद्ध रहल स्पष्ट केलक अछि ।  अहिना रक्षामन्त्री शरदसिंह भण्डारीके अभिव्यक्तीके लऽ अपन पार्टीके आधिकारिक निकाय कोनो आरोप नहि लगौने दावी विज्ञप्तीमे कएलगेल अछि । मधेशी जनअधिकार फोरम ४ बुँदे सहमति आ रक्षामन्त्रीके सन्दर्भमे माओवादीके आधिकारिक धारणा नहि आबयधरि रक्षामन्त्रीके राजिनामा नहि आओत बतौलाक बाद माओवादी अपन धारणा प्रष्ट केलक अछि ।

अहिसँ आगु बैद्य पक्ष रक्षामन्त्री राष्ट्रघाती अभिव्यक्ती देने कहैत सडक आन्दोलन केने छल । माओवादी संसदीय बोर्ड सेहो रक्षामन्त्रीके अभिव्यक्ति राष्ट्रघाती रहल कहैत राजिनामा मँगने छल । 


No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन