Sunday, November 13, 2011

माधव सरकारेके पालामे आममाफी देबयके सहमति भेल दाहालक दाबी


काठमाडौं, कार्तिक २७ । माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल पूर्ववर्ति माधवकुमार नेपाल सरकारके पालामे सभासद् बालकृष्ण ढुङ्गेलके आममाफी देबयके मौखिक सहमति भेल दाबी कएलनि अछि ।

लुम्बिनीके विकासमे अन्तर्राष्ट्रिय सहयोग जुटाबय अमेरिकालण्डन होइत आइ स्वदेश घुरल दाहाल त्रिभूवन विमानस्थलमे सञ्चारकर्मीसँग इ बात बतौलनि अछि । ओ वर्तमान सरकार ढुङ्गेलके आममाफी देबयके दलसबबीचक मौखिक सहमति कार्यान्वयन मात्रे केने बतौलनि ।

ओ आममाफीबारे कांग्रेसएमाले केने विरोधबारे बिमर्श कऽ क सहज ढंगसँ निकास खोजल जाएत जानकारी देलनि ।

दाहाल लुम्बिनी विकासबारे लुम्बिनीमै अन्तर्राष्ट्रिय बैसार करयके आ ओइके अध्यक्षता राष्ट्रसंघ महासचिव बान की मुन आ अपने संयुक्त रुपमे करयके जानकारी देलनि । बैसार आगामी फेब्रुअरी अन्त्य या मार्चके पहिल सप्ताहमे होबय सकत हुनक कहब छलनि ।

लुम्बिनीबाद एकर अनुगमनके लेल फलोअपबैसार न्यूयोर्कमे करयके आ ओइके अध्यक्षतामे सेहो दुनुके करयके सहमति भेल बतौलनि । दुनु बैसारबारे ठोस सहमति भेल अछि,’ दाहाल कहलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन