Sunday, November 13, 2011

यात्रुबस सुनकोसीमे खसल १ गोटेके मृत्यु


२७ कात्तिक, काठमाडौँ । सिन्धुपाल्चोकके सुकुटे लग आँपकोट ६५ किलो कहायबला स्थानमे आइ भिन्सर भेल यात्रुबस दुर्घटनामे एक गोटेके मृत्यु भेल अछि तऽ एक दर्जनसँ बेसी यात्रु घाइल भेल अछि ।

मृत्यु होबयबलामे दोलाखाके अर्जुन खड्का रहल पुलिस जनौलक अछि । बाह्रबिसेसँ काठमाडौँ दिस जाऽ रहल बा २ ख ६२५९ नम्बरक बस अरनीको राजमार्गके सडकसँ सुनकोसी नदीमे खसि कऽ दुर्घटना भेल पुलिस जनौलक अछि । दुर्घटनामे करिब एक दर्जनसँ बेसी यात्रु घाइल सेहो भेल अछि । विपरीत दिशसँ आबिरहल मोटरसाइकलके बचाबयके क्रममे बस अनियन्त्रित भऽ  नदीमे खसल पुलिस जनौलक अछि ।

मृतक खड्का मोटरसाइकल पाछु सवार रहल बताओल गेल अछि । घटना होइते पुलिस आ स्थानीयबासी घाइलके उद्धार कऽ अस्पताल पहुँचौने छल । घाइलसबहक खाडीचौर स्वास्थ्यचौकी आ धुलिखेल अस्पतालमे इलाज भऽ रहल अछि । अहिबीच काँकडभिट्टासँ काडमाडौँदिस जाऽ रहल ना ३ ख ७३७५ नम्बरक रात्रीबस आइ भिन्सर चितवनके दारेचोकस्थित नाग्दी खोलामे दुर्घटना भेलासँ ओइमे सवार १३ गोटे घाइल भेल अछि । घाइलसबहक भरतपुरमे इलाज भऽरहल पुलिस जनौलक अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन