Sunday, November 13, 2011

माओवादीक बैसार काल्हि धरिके लेल घुसकल


२७ कात्तिक, काडमाडौँ । आइसँ सुरु हाएत कहलगेल एकीकृत नेकपा माओवादीक बहुप्रतिक्षीत केन्द्रीय समितिक बैसार काल्हि धरिके लेल घुसकल अछि ।

लुम्बिनीके विकासमे अन्तर्राष्ट्रिय समर्थन जुटाबय अमेरिका गेल अध्यक्ष प्रचण्ड नेपाल आबयमे अबेर केलासँ बैसार घुसकाब परल पार्टी जनौलक अछि ।  सचिव पोष्टबहादुर बोगटी अध्यक्ष प्रचण्ड आइ बेरियामे स्वदेश पहुँचलासँ बैसार काल्हिधरिके लेल घुसकाओलगेल जानकारी देलनि । बैद्य पक्ष जानिबुझि कऽ बैसार के काल्हिधरि घुसकाओलगेल आरोप लगौलक अछि ।

अहिसँ आगु पोलिट्ब्युरो आ स्थायी समिति पार्टीमे देखलगेल विभिन्न विवादके अन्त्य करयके जिम्मेवारी केन्द्रीय समितिके देने छल । बैद्य पक्ष लडाकुके हतियार राखल कन्टेनरके चाबी बुझा कऽ आत्मघाती कदम उठौने, भारतसँग बिप्पा आ सरकार गठन आगु मधेसी मोर्चासँग कएलगेल ४ बुँदे सम्झौता राष्ट्रघाती भेल आरोप लगबैत आएल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन