Sunday, November 13, 2011

हमर राजनीतिक भविष्य समाप्त करबाक षड्यन्त्र भेलः ढुंगेल


२७ कात्तिक, काठमाडौं । सरकार राष्ट्रपति समक्ष आममाफी देबय प्रस्ताव केने सभासद बालकृष्ण ढुंगेलके राजनीतिक प्रतिशोध लेबय विरोधीसब रचने षड्यन्त्रमे अपने परल बतौलनि अछि ।

सभासद ढुङ्गेल आइ पत्रकार सम्मेलन कऽ अपना विरुद्ध लागल आरोपके सफाई दैत अपना विरुद्धके प्रचार/प्रसार राजनीतिक भविष्य समाप्त करयके षड्यन्त्र रहल बतौलनि अछि ।

जनयुद्धके समयमे माओवादी विरुद्ध लिखु अपरेसनचलबैत सूराकी केने आरोपमे पार्टी २०५५ साल असारमे भुवनकुमार श्रेष्ठके सफाया केने कहैत ओ व्यक्तिगत रुपमे अपने निर्दोष रहल दावी सेहो कएलनि ।

ओ सरकार संवैधानिक विधि अनुसारे अपन मुद्दा फिर्ता लेलगेल उल्लेख करैत आलंकारीक राष्ट्रपति सरकारके सहयोग करयके विस्वास सेहो व्यक्त कएलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन