Sunday, November 13, 2011

ढुंगेलके आममाफी देबयके निर्णयमे पुनर्विचार नहि हाएतः प्रधानमन्त्री


२७ कात्तिक, काठमाडौँ । प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराई माओवादी सभासद् बालकृष्ण ढुंगेल उपर लागल व्यक्ति हत्याक अभियोगम आममाफी देबयके सरकारक निर्णयम पुनर्विचार होबय नहि सकत बतौलनि अछि

माल्दिभ्सम सम्पन्न दक्षिण एशियाली सहयोग संगठन (सार्क ) क १७ हम् शिखर सम्मेलनम भाग लऽ स्वदेश घुरिते त्रिभुवन अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थलम सञ्चारकर्मीसँग बात करैत प्रधनमन्त्री भट्टराई सरकार सोचविचार कऽ क शान्ति सम्झौताक मर्म अनुसार सभासद् बालकृष्ण ढुंगेलके आममाफीके लेल राष्ट्रपतिसमक्ष सिफारिस कएल गेलासँ ओइमे पुर्नविचार करय नहि मिलत स्पष्ट कएलनि

ओ आगु कहलनि जे द्वन्द्वक क्रमम देशम १५ हजार नागरिक ज्यान गुमौने चर्च करैत प्रधानमन्त्री हत्याक घटनाम व्यक्ति व्यक्तिके मुद्धा लगाओल जाए तऽ केउ बाँकी नहि रह चेतावनी देलनि

सार्क सम्मेलन क्षेत्रीय सम्वन्ध विस्तार तथा विकासक हिसाबसँ सफल फलदायी भेल ओ जानकारी देलनि

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन