Sunday, November 13, 2011

भट्टराईके सेहो प्रचण्डके जेहन हालत हाएत केसीके चेतावनी


२७ कात्तिक, पोखरा । नेपाली कांग्रेसक नेता अर्जुननरसिंह केसी माओवादी सभासद बालकृष्ण ढुंगेलके आममाफी देबय सिफारिस करयके निर्णय फिर्ता नहि लेत तऽ प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराईके सेहो तत्कालिन प्रधानमन्त्री प्रचण्डके जेहन हालत हाएत चेतावनी देलनि अछि ।

आममाफीके सिफारिस फिर्ता नहि लेत तऽ भट्टराई तत्कालिन प्रधासेनापति रुकमाङगत कटवालके कार्यकल बाँकी रहिते हटबैत समय प्रचण्डके सत्ता छोडय परनाइ जेहन भोगय परत हुनक कहब छलनि । पोखरामे आइ आयोजित पत्रकार भेटघाटमे कांग्रेस नेता केसी कहलनि जे ढुंगेलके मुद्धा राजीनितिक नहि भऽ व्यक्तिगत रहलासँ आममाफी कोनो हालतमे स्वीकार्य नहि हाएत । नेता केसी दलसबबीच भेल सातबुँदे सहमतिके मसी सुखय नहि पबैत सरकार पक्षेसँ सहमति उल्लङ्घन होबय लागल आरोप सेहो  लगौलनि ।

माओवादीके लडाकूके समायोजन आ हतियारक व्यवस्थापन नहि होबयधरि कांग्रेस माओवादी नेतृत्वक सरकारमे सहभागी नहि हाएत कहैत ओ सहमतीय सरकारक नेतृत्व कांग्रेसके करय परत धारणा रखलनि । संविधानसभाक निर्वाचनके बाद माओवादी आ एमाले दु/दु बेर सरकारक नेतृत्व कऽ चुकलासँ सेहो आब कांग्रेसके पालो आएल हुनक जिकिर छलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन