Sunday, November 13, 2011

गाँजा तस्कर आ पुलिसबिच दुतर्फी गोली चलल, दु तस्कर गिरफ्तार


पर्सा, कार्तिक २७ । पर्साके सोनवर्सा गाविसमे बितलराति पुलिस आ गाँजा तस्करबीच दुतर्फी गोली चलल अछि।

मकवानपुरसँ  जङ्गलके बाट भऽ पर्सा लऽ जाऽ रहल गाँजाके प्रहरी चौकी सेढवासँ खटल पुलिसक टोली नियन्त्रणमे लेबय चाहलाबाद गाँजा तस्कर आ पुलिसबीच दुतर्फी गोली चलल छल ।

पुलिसक टोली गाँजा नियन्त्रमे लेबय चाहलाबाद तस्कर पुलिसके लक्षित कऽ तीन राउण्ड गोली चलौलाबाद आत्मरक्षाक लेल पुलिस एक राउण्ड गोली चलैबतै तस्करसब भागल जिल्ला प्रहरी कार्यालय, पर्साक प्रवक्ता प्रहरी नायब निरीक्षक रवीन्द्र केसी जानकारी देलनि ।

पुलिस भिडन्तक क्रममे पर्साके सोनवर्सा गाविस५ निवासी  वीरबल यादव आ इमामुल गद्दीके ४ बोरा गाँजा सहित गिरफ्तार केलक अछि । दुतर्फी गोली चललाक बादो कोनो मानवीय क्षति नहि भेल पुलिस जनौलक अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन