Tuesday, November 15, 2011

चिनियाँ प्रधानमन्त्री जियावाओके भ्रमण पुस ५ सँ


काठमाडौ, कार्तिक २९ । चिनियाँ प्रधानमन्त्री वेन जियावाओ आगामी पुस ५ सँ ७ गते धरि नेपालक भ्रमण करय लागल अछि ।

आइ प्रधानमन्त्री निवास वालुवाटारमे सञ्चारकर्मीसबसंग बातचित करैत प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराई चिनियाँ प्रधानमन्त्रीके नेपाल भ्रमणके मिति जानकारी करौलनि अछि ।

चिनियाँ प्रधानमन्त्रीक नेपाल भ्रमणके तयारी होइतो अहिसँ आगु नेपाल आ चीन दुनु देश अहिके औपचारिक घोषणा नहि केने छल । चिनियाँ प्रधानमन्त्रीक भ्रमण सम्बन्धी प्रकृयासब मिलाबय लेल उपप्रधान तथा परराष्ट्रमन्त्री नारायणकाजी श्रेष्ठ नोभेम्बर २५ सँ चीन भ्रमण कऽ रहल छथि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन