Tuesday, November 15, 2011

राष्ट्रपति पूर्वाञ्चल भ्रमणमे


२९ कात्तिक, काठमाडौँ । राष्ट्रपति डा. रामवरण यादव दु दिना पूर्वाञ्चल भ्रमणके लेल आइ विराटनगर प्रस्थान कएलनि अछि ।

राष्ट्रपति यादव आइ बेरियामे सैनिक हेलिकप्टर मार्फत ओइदिस प्रस्थान केने राष्ट्रपति कार्यालय स्रोत जनौलक अछि । राष्ट्रपति यादवके आइ विराटनगरमे निर्मित आँखि अस्पतालक उद्घाटन करबाक कार्यक्रम छन्हि । अहिना ओ आइए मोरङके उद्योगी व्यवसायी आयोजना केने सम्मान कार्यक्रममे सेहो सहभागी हेताह । राष्ट्रपति यादवक लेल धनकुटाको हिलेस्थित एक होटलमे आइ राति रहयके व्यवस्था मिलाओलगेल अछि । राष्ट्रपति यादव काल्हि संखुवाभसाके एकटा विद्यालय आयोजना करय लागल कार्यक्रममे सहभागी भऽ क राजधानी घुरबाक कार्यक्रम रहल  राष्ट्रपति कार्यालय जानकारी देलक अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन